Categories
- अवर्गीकृत (1)
- किदन-कहाँदन (3)
- तकनीक (1)
- मिथिलाक्षर (14)
- मैथिली – श्री चैतन्य चंद्रायण (1)
- मैथिली व्याकरण (1)
- मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम (1)
- विद्यापति गीत (4)
- सिनेमा-सर्कस (1)
- हमर सुख-दुःख (3)
-
Recent Posts
- मिथिलाक्षर अभ्यास पुस्तक – प्रो. विश्वनाथ झा
- मिथिलाक्षर शिक्षा – श्रीमती आद्या झा
- मैथिली – श्री चैतन्य चंद्रायण
- बड़ सुखसार पाओल तुअ तीरे
- अपन हिसाब (Expense Tracker) – MS-Excel आधारित टूल
- नॉएडा सेक्टर – ७१ में सामा-चकेवा पर रंगारंग कार्यक्रम – १०-नवम्बर-२०११ (कार्तिक पूर्णिमा)
- मिथिलाक्षर शिक्षा – पृष्ठ-१२
- मिथिलाक्षर शिक्षा – पृष्ठ-११
- माताश्री आ नानी जी के ब्रज सीमाक ८४ कोसक यात्रा
- आई. आर. सी. टी. सी. के वर्चुअल रिजर्वेशन मेसेज(VRM) आ रेलवे के सच
Recent Comments
Archives
Meta
आगंतुक
मैथिली – श्री चैतन्य चंद्रायण
श्री चैतन्य चंद्रायण – रामचन्द्र मिश्र “मधुकर” द्वारा लिखित आ जीव सेवा संघ, पटना द्वारा प्रकाशित महाकाव्य अछि.
हम जुलाई २०११ में वृन्दावन गेल रही, ओही ठाम सुबल दास जी के द्वारा ई दुर्लभ पुस्तक प्राप्त भेल.
अहि पुस्तक के दुर्लभता के देखैत हम हुनका सभ के कहने रहियन्हि जे हम अकर इलेक्ट्रोनिक प्रति प्रकाशित करब. आ आई हम ई पुण्य काज के पूर्ण क रहल छी. अहि पुस्तक के सभ टा अधिकार लेखक वो प्रकाशक के छन्हि. हम मात्र मैथिली साहित्य के प्रसार हेतु अतए प्रकाशित क रहल छी. आशा अछि मैथिल वृन्द सभ के ई पसिन्न परतन्हि .
ई पुस्तक अतए डाउनलोड कैल जा सकैत अछि. मैथिली – श्री चैतन्य चंद्रायण
Posted in मैथिली - श्री चैतन्य चंद्रायण
Leave a comment
बड़ सुखसार पाओल तुअ तीरे
बड़ सुखसार पाओल तुअ तीरे। छाड़इते निकट नयन बह नीरे।
कर जोड़ि बिनमञो विमलतरङ्गे । पुन दरसन होअ पुनिमति गङ्गे ।
एक अपराध छेँओब मोर जानी । परसल माए पाए तुअ पानी।
कि करब जप तप जोग धेआने । जनम सुफल भेल एकहि सनाने।
भनइ विद्यापति समन्दञो तोही । अंत काल जनु बिसरह मोही।
Posted in विद्यापति गीत
1 Comment
अपन हिसाब (Expense Tracker) – MS-Excel आधारित टूल
हम कहियो अपन आमदनी आ खर्चा के कहियो हिसाब – किताब नहीं राखैत छलहूँ.
पछिला किछु दिन सं एक टा टूल के जरूरत महसूस भ रहल छल जे हमर ई जरूरत पूरा क सकैत. किछु टूल के मूल्यांकन केलहुं जेना GNU Cash. किछु ऑनलाइन टूल सेहो देखलहुं जेना WP Finance, mint.com इत्यादि.
अंततः अहि निष्कर्ष पर पहुँचलहूँ जे कोनो साधारण टूल अपने सं विकसित कयल जाय. आ MS-Excel 2007 आधारित टूल बनेलहूँ आ लगभग २ महिना धरि खुद प्रयोग कैलहूँ. आ आब जनता जनार्दन के लेल प्रस्तुत क रहल छी.
अकर प्रमुख विशेषता अछि:
१. लिफाफा आधारित (हरेक खर्चक रुपैया ओहि खर्च के नामक लिफाफा में जमा)
२. आमदनी के लेखांकन
३. अपने आप % आधारित खर्चा के निर्धारण.
४. % खर्चा के बदलनाई संभव
५. जौं खर्चा, आमदनी सं ज्यादा होय तं अंतर लाल रंग में देखाबैत अछि.
६. जौं लिफाफा में सं सीमा सं अधिक खर्चा भा जाय,अंतर लाल रंग में देखाबैत अछि.
७. क्रेडिट कार्ड खर्च
अपन हिसाब (Expense Tracker) अहि ठाम सं डाउनलोड कयल जा सकैत अछि.
किछु स्क्रीन शॉट(अपन हिसाब के विशेषता बताबैत) निम्नवत अछि:
किछु दिनक बाद अकर परिष्कृत संस्करण प्रस्तुत करब. ता धरि उम्मीद अछि अपने सबहक सामान्य जरूरत पूरा करत.
Posted in किदन-कहाँदन, तकनीक
1 Comment
नॉएडा सेक्टर – ७१ में सामा-चकेवा पर रंगारंग कार्यक्रम – १०-नवम्बर-२०११ (कार्तिक पूर्णिमा)
काल्हि कार्यालय सं देर राति क घर पहुँचलहूँ त सेक्टर ७१ के सामुदायिक भवन दिस सं किछु उद्घोसना सुनबा में आबी रहल छल.
ततबे में एक टा गीत सुनाई देलक. कनेक ध्यान देलहुं त ई मैथिली गीत छल. मोन गद-गद भ गेल.
आ कष्ट सेहो भेल. कारण जे अहि बेर अहि कार्यक्रम के बारे में कोनो तरहक कोनो सूचना प्रसारित नहीं कयल गेल छल.
हम तखनहिं अपन किछु मित्र सभ के फ़ोन क आमंत्रित केलियन्ही. खा-पी क हमहूँ ओतय गेलहूँ. आ जे हमर अनुमान रहे सिह भेल… प्रचार -प्रसार के अभाव में सीमित मैथिल सभ कार्यक्रम के आनंद लैत छलाह. बड़ा अटपट लागल. गायक-गायिका सभ सेहो सीमित श्रोता के देखि उदास छलथि आ से पूरा वातावरण के उदास क देने रहय. किछु चित्र हम जरूर लेलहुं जे निम्नवत अछि.
Posted in मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम
Leave a comment
माताश्री आ नानी जी के ब्रज सीमाक ८४ कोसक यात्रा
अखन हम वृन्दावन आयल छी माताश्री आ नानी जी के संगे.
ई दुनु गोटे ब्रज के ८४ कोसक सीमा के परिक्रमा करतीह. ई कार्यक्रम संत रमेश जी के निर्देशन में सभ साल होइत छैक
जतेक विवरण अखन धरि जुटेलहूँ अछि ओहि दृष्टिये ई बड्ड नियोजित ढंग सं होइत छैक. पूर्ण कार्यक्रम ४० दिन के होइत छैक .
विस्तृत विवरण निम्नवत अछि.
श्री राधा रानी ब्रज सीमा परिक्रमा (मान मंदिर बरसाना) 2011
क्रम सं. दिनांक तिथि दिन शिविर(पड़ाव)
1 12-Oct-11 पूर्णिमा बुधवार बरसाना
2 13-Oct-11 प्रतिपदा गुरुवार बरसाना
3 14-Oct-11 द्वितीया शुक्रवार बरसाना
4 15-Oct-11 तृतीया शनिवार नन्दगाँव
5 16-Oct-11 चतुर्थी रविवार लोहार्वारी
6 17-Oct-11 पंचमी सोमवार पाई
7 18-Oct-11 षष्ठी मंगलवार पुन्हाना
8 19-Oct-11 सप्तमी बुधवार बिछोर
9 20-Oct-11 अष्टमी गुरुवार नांगल जात
10 21-Oct-11 नवमी शुक्रवार बनचारी
11 22-Oct-11 दशमी शनिवार लिखी
12 23-Oct-11 एकादशी रविवार यमुना जी
13 24-Oct-11 द्वादशी सोमवार मारव
14 25-Oct-11 धनतेरस मंगलवार बाघी
15 26-Oct-11 दीवाली बुधवार बरौठ
16 27-Oct-11 अन्नकूट गुरुवार सुरीर
17 28-Oct-11 भैयादूज शुक्रवार नसीटी
18 29-Oct-11 तृतीया शनिवार राधा रानी
19 30-Oct-11 चतुर्थी रविवार वृन्दावन
20 31-Oct-11 पंचमी सोमवार वृन्दावन
21 01-Nov-11 षष्ठी मंगलवार वृन्दावन
22 02-Nov-11 सप्तमी बुधवार सियरा
23 03-Nov-11 अष्टमी गुरुवार बंदी
24 04-Nov-11 नवमी शुक्रवार दाऊ जी
25 05-Nov-11 दशमी शनिवार चिंताहरण
26 06-Nov-11 एकादशी रविवार रावल
27 07-Nov-11 द्वादशी सोमवार धनगाँव
28 08-Nov-11 त्रयोदशी मंगलवार लालपुर
29 09-Nov-11 चतुर्दशी बुधवार सावला
30 10-Nov-11 अमावस्या गुरुवार जतीपुरा
31 11-Nov-11 प्रतिपदा शुक्रवार मुखराई
32 12-Nov-11 द्वितीया शनिवार श्यामढाक
33 13-Nov-11 तृतीया रविवार कुचावटी
34 14-Nov-11 तृतीया सोमवार दुदावली
35 15-Nov-11 चतुर्थी मंगलवार खोह
36 16-Nov-11 पंचमी बुधवार आदिबद्री
37 17-Nov-11 षष्ठी गुरुवार केदारनाथ
38 18-Nov-11 सप्तमी शुक्रवार काँमा
39 19-Nov-11 अष्टमी शनिवार काँमा
40 20-Nov-11 नवमी रविवार बरसाना
संपर्क सूत्र: ०५६६२-२४६३४३, ९९२७३३८६६६, ९९२७३९६०८५-८६
Posted in हमर सुख-दुःख
Leave a comment
आई. आर. सी. टी. सी. के वर्चुअल रिजर्वेशन मेसेज(VRM) आ रेलवे के सच
पछिला सप्ताहांत के हमर कार्यक्रम बहूत व्यस्त छल.
हमरा २ दिनक अन्दर गाँव जेबाक छल कनियाँ के घर (ग्राम-राढ़ी, प्रखंड- जाले, जिला- दरभंगा) पहुंचाबक लेल आ वापसी में माताश्री के संगे लेने आबक लेल. वस्तुतः माताश्री व्रज के ८४ कोसक यात्रा पर जा रहल छथिन्ह. हम ३० सितम्बर २०११ के दिल्ली सं मुजफ्फरपुर आ वापसी में २ अक्तूबर के मुजफ्फरपुर सं दिल्ली के लेल वैशाली एक्सप्रेस के ई-टिकिट लेने छलहूँ. विदा होब सं किछु देर पहिले प्रिंट लेबाक लेल आई. आर. सी. टी. सी. खोललहूँ ता एक टा बैनर देखलहुं जे निम्नवत अछि.

हम ई-टिकिट के चित्र अपना फ़ोन पर मेल कैलहूँ. लेकिन मोन में शंका छल तैं प्रिंट सेहो ला लेलहुं.
जेबाक काल त कोनो टीटी(TTE ) टिकिट खोजबे नहीं केलक. लेकिन एबाक काल एक टा टीटी (TTE ) महोदय टिकिट मंगलाह. हम अपन मोबाइल बला फोटो देखेलियेन्ही. वो बिफ़री गेलाह,
ई क्या है?
हम कहलियन्ही,
सर, आई. आर. सी. टी. सी. के साईट पर तो लिखा हुआ है की वीआरएम् (VRM ) वैलिड है, ईआरएस(ERS ) की कोई जरुरत नहीं है.
टीटी छुटिते बाजि उठलाह,
हमारे पास कोई सर्कुलर नहीं है, आप लोग इन्टरनेट पर पता नहीं क्या-क्या देख लेते हैं. इन्टरनेट पर तो यह भी छप गया है की रिटायर्मेंट की उम्र ६२ साल हो गयी है, लेकिन आज ही हमारे ४ साथी रिटायर हो गए हैं. हमें तो ERS चाहिए बस.
बहुत बहस भेल, हमरा पास प्रिंट रहय, अंततः वो देखेला उत्तर झगरा शांत भेल.
अपने सभ सा आग्रह जे किछु दिन धरि VRM के साथ साथ ERS के प्रिंट जरूर ल क चलब.
Posted in किदन-कहाँदन, हमर सुख-दुःख
Leave a comment



