सिनेमा समीक्षा – मौसम
काल्हि रवि दिन छलैक आ कनियाँ के बहुत दिन सं इच्छा छलन्हि जे सिनेमा हौल में जा का कोनो सिनेमा देखी.
मौसम (शाहिद कपूर आ सोनम कपूर अभिनीत) टटका – टटका लागल छलैक. टीवी आ एकबार में बड्ड चर्चा सेहो छलैक.
सिनेमा देखला उप्ररांत हमर अनुभव ई जे जौं ककरो जिनगी में तीन घंटा बीतेनाई पहाड़ होइक, कोनो आर माध्यम नहीं भेटैक समय के उपयोग करबाक त ई सिनेमा जरूर देखी.
शुरू में थोड़ेक सरल हास्य छैक. तकरा बाद सिनेमा में १९९२ के बाबरी मस्जिद ध्वंस सं शुरू होइत १९९३ के मुंबई बम धमाका सं गुजरैत कारगिल युद्ध के यात्रा करैत अमेरिका के विश्व व्यापार केंद्र पर हमला करैत गुजरातक गोधरा काण्ड तकि के यात्रा करैत छैक. बिना कोनो दिशा के, बिना कोनो सन्देश देने.
विशेष फेर कखनो.
Leave a Reply