अपन हिसाब (Expense Tracker) – MS-Excel आधारित टूल
हम कहियो अपन आमदनी आ खर्चा के कहियो हिसाब – किताब नहीं राखैत छलहूँ.
पछिला किछु दिन सं एक टा टूल के जरूरत महसूस भ रहल छल जे हमर ई जरूरत पूरा क सकैत. किछु टूल के मूल्यांकन केलहुं जेना GNU Cash. किछु ऑनलाइन टूल सेहो देखलहुं जेना WP Finance, mint.com इत्यादि.
अंततः अहि निष्कर्ष पर पहुँचलहूँ जे कोनो साधारण टूल अपने सं विकसित कयल जाय. आ MS-Excel 2007 आधारित टूल बनेलहूँ आ लगभग २ महिना धरि खुद प्रयोग कैलहूँ. आ आब जनता जनार्दन के लेल प्रस्तुत क रहल छी.
अकर प्रमुख विशेषता अछि:
१. लिफाफा आधारित (हरेक खर्चक रुपैया ओहि खर्च के नामक लिफाफा में जमा)
२. आमदनी के लेखांकन
३. अपने आप % आधारित खर्चा के निर्धारण.
४. % खर्चा के बदलनाई संभव
५. जौं खर्चा, आमदनी सं ज्यादा होय तं अंतर लाल रंग में देखाबैत अछि.
६. जौं लिफाफा में सं सीमा सं अधिक खर्चा भा जाय,अंतर लाल रंग में देखाबैत अछि.
७. क्रेडिट कार्ड खर्च
अपन हिसाब (Expense Tracker) अहि ठाम सं डाउनलोड कयल जा सकैत अछि.
किछु स्क्रीन शॉट(अपन हिसाब के विशेषता बताबैत) निम्नवत अछि:
किछु दिनक बाद अकर परिष्कृत संस्करण प्रस्तुत करब. ता धरि उम्मीद अछि अपने सबहक सामान्य जरूरत पूरा करत.
Leave a Reply