जन्म दिनक उत्सव कतेक उचित?
२००२ में पहिल बेर दरभंगा सं बाहर एलहुं – पटना आ ओतय स दिल्ली– ओतय देखलिऐ लोक सभ अपन जन्मदिन के उत्सव मनाब के लेल कतेक बताह रहैत छै.
हमर मानब जे कोनों व्यक्ति के अपन जन्मदिन मनेबाक अधिकार नहिं छै. जन्म ल क अहाँ की क लेलहुं? जन्म त कुकुर, बिलाई, कीड़ा मकरा सभ लेत अछि – त की ओ सभ अपन जन्मदिन मनाबय?
हमर मानब जे अहाँ समाज के किछु दियौ – आ समाज अहाँ के योगदान के मानैत अहाँ के जन्मदिन मनाबय त अहाँक जन्म लेब सफल भेल. हां अहि दिन भगवान के आ माता-पिता के धन्यवाद दियौन्ह आ आशीर्वाद ली जे एतेक शक्ति होय जे जन्मदाता के सुख द सकियन्ही आ संगहि जे समाज एतय धरि पहुँचेलक – हुनका सभ लेल किछु क सकी.
Leave a Reply