दिन में २० बेर भोजन केनाई सेहो कोनों आसान गप्प नहिं छै
डाक्टर (मनीष जी सं): एक दिन में कतेक सिगरेट पिबैत छी?
मनीष जी: जी, २०.
डाक्टर: देखू, हमरा सं इलाज करेबाक अछि त अहाँ के सिगरेट सं परहेज कर परत. हाँ.. एक टा काज करू, एक टा नियम बना लिय जे सिर्फ भोजन केला के बाद मात्र एक टा सिगरेट पीब.
मनीष जी डाक्टर के बात मानि इलाज कराब लगला. किछु महीना बाद हुनकर स्वास्थय पूर्णतया सुधरि गेलैंह.
डाक्टर(मनीष जी सं): देखलियै, हमर बतेलहा परहेज सं कतेक फायदा भेटल.
मनीष जी:डाक्टर साहब, लेकिन दिन में २० बेर भोजन केनाई सेहो कोनों आसान गप्प नहिं छै.
Leave a Reply