इस्कॉन (ISKCON) आ भारतीय संस्कृति के विनाश
अहि जन्माष्टमी (१७ अगस्त २०१४) के निर्जला उपास कैने रही – जं सत्य बाजी तं – कनियाँ के उपास में संग देने रहियनि।
संध्याकाल स्वाभाविक रूपें कोनो मंदिर जाय दर्शन करबाक – आ नॉएडा इस्कॉन (ISKCON) मंदिर पहुंचलहुं। ओतय पहुँचि पता लागल जे – नॉएडा इस्कॉन में जन्माष्टमी १८ अगस्त २०१४ के मनाओल जायत। आब त सभ टा पावनि-तिहार आ उत्सव दुदिना भs गेल अछि तैं मोन में कोनो तेहन प्रतिक्रिया नहिं भेल। मंदिर सं लौटला उपरांत कनियाँ अपन उपास के निर्जला सं सजला में परिवर्तित क लेली आ हम यथावत रहलहुं।
१८ अगस्त के कनियाँ जिद करs लगली – भगवानक जन्माष्टमी देखब नॉएडा इस्कॉन मंदिर में। कनियाँ के जिद के आगा त मर्यादा पुरुषोत्तम श्रीराम के नहिं चललन्हि आ रामायण सन ग्रन्थ के रचना भेल – हमर कोन बात। राति १० बजे के आसपास मंदिर पहुँचलहुँ। साज-सज्जा उत्तम आ भीड़ भयंकर।
राधाकृष्ण के १०८ कलश सं अभिषेक कयल गेलन्हि। वातावरण भक्तिमय रहैक।
एकटा आचार्य एलाह – आ भक्तक भीड़ के संबोधित करैत बजलाह – “टुडे इज लॉर्ड कृष्णाज बर्थडे”। मोन कनेक खट्टा भेल।
आगा कहलखिन- “फाइव थाउजेन्ड टु हन्ड्रेड एन्ड xxxx(इ संख्या हमरा याद नहिं अछि) इयर्स एगो लॉर्ड कृष्ण वाज बॉर्न”। मोन आर खट्टा भ उठल – अजुका पीढी मुल ग्रन्थ के अध्ययन त करैत नहिं अछि – इ झूठ-फूसि बात सुनि ओकरे सत्य मानि लैत अछि। अंग्रेज द्वारा फैलाओल एकटा फुसि बात सत्य जकां डंका के चोट पर बताओल जा रहल छल।
आगा घोषणा कयल गेल जे आब भगवान के जन्मदिन के उपलक्ष्य में “केक कटिंग” सेरेमनी हेतै।
मोन क्षुब्ध भ उठल। कनियाँ के कहलियनि – इ पापकर्म हम नहिं देखि सकब, अहाँ के देखबाक अछि त देखू। कनियाँ के बियाह सं पहिने के पालन-पोषण छद्म-अंग्रेज़ी पद्धति सं भेल छन्हि – ओ प्रायः भ्रमित रहैत छथि की ओ अंग्रेज छथि की मैथिल। हम हुनका भ्रम सं निकालैत कहलियनि – हम बाहर ठाढ छी – जखन जयबाक होय – फोन क देब।
पता नहिं बियाहक बाद के संस्कार जोर मारलकन्हि आ की बियाहक पहिले के संस्कार कमजोर परलन्हि – ओ फोन केली हम बाहर आबि रहल छी।
अहि बीच मंदिर के अंदर स बड्ड जोर सं मानव-ध्वनि एलै – “हैप्पी बर्थडे टु यु श्री कृष्ण……….”
इस्कॉन दावा त करैत अछि पच्छिम के देश में श्री कृष्ण आ भारतीय संस्कृति के प्रचार के – आ हम देखलहुं जे जन्माष्टमी के पच्छिम देशक सभ्यता आच्छादित क देलक।
अहि घटना के जतेक निंदा कयल जाय से कम अछि।
Leave a Reply